राजेश कुमार राजवंशी ः विराट राजवंशी भाषामे
जहदा, माघ २ गते । राजवंशी समाज उत्थान समितिके आयोजनामे तिला संक्रातिके अवसरमे जहदा गाउँपालिका वडा नं. ३ बभनटोलीमे शुभकामना आदान–प्रदान कार्यक्रम सम्पन्न करलकै छै ।
शुभकामना आदान–प्रदान कार्यक्रमके प्रमुख अथिती राजवंशी समाज उत्थान समितिके अध्यक्ष भुवनेस्वर मण्डल राजवंशी कहैलकै ‘राजवंशी समाजके विकासके खातिर २०४१ सालमे बुधनर गाममे पहिला एैतिहासिक राजवंशीके भेला भेलै’ राजवंशी सब गहन छलफल करिके समितिके गठन कैलकै । वहे समयसे निरन्तर आगु बढेके प्रयास भेलै । २०४६ सालमे बहुदलीय प्रजातन्त्र स्थापनाके वाद बिधीबत औपचारिक किसिमसे जिल्ला प्रसासन कार्यलय मोरङ मे दर्ता भेलै ।
राजवंशी उत्थान समितिके नाम संसोधन २०६३ सालमे (राजवंशी समाज उत्थान समिति) भेलै । निरन्तर रुपमे फागुन ६ गते बृहत भेला करले आबैछियै बतैलकै । वहनके राजवंशी समाज उत्थान समितिके जिल्ला अध्यक्ष प्रदीप विश्वास राजवंशी बोललकै तिला संक्रातमे तिलके लारु, तिल आरह चुरा भुजिके मुरुवा लारु बनाके तिला सुकरात मनाबैछै । कार्यक्रमके वक्ताके रूपमे सिधु लाल राजवंशी, जवाहरलाल राजवंशी, रोशन राजवंशी, बसन्त राजवंशी लगायत मन्तव्य राखलकै । कार्यक्रमके अध्यक्ष मायाबति देवि राजवंशीके अध्यक्षता मे कार्यक्रम सम्पन्न भेलै ।
वहेने राजवंशी समाज उत्थान समितिके केन्द्र अध्यक्ष भुवनेस्वर मण्डल राजवंशीके अध्यक्षतामे फागुन ६ गते के बृहत भेलाके खातिर मुल समिति गठन कैलकै । १४ औं बृहत भेला समितिके संयोजक रामनारायण राजवंशी, सह संयोजक पन्नालाल राजवंशी सचिव बानेश्वर (बसन्त) राजवंशीके चुनल गेलय ।
वहिने सदस्यमे काशी, दिवस, राजेश, बिक्रम, सेवक, बालेस्वर, देवराज, तिलक, पन्नालाल, अत्यानन्द, सन्तोश, तिलकराम, जीवन राजवंशी लगायत ५१ सदस्य समति गठन भेलैै । सल्लाहकारमे भुवनेस्वर, प्रदीप, त्रिभुवन, सिधुलाल, लक्षमिकान्त, बसन्त , कुसेश्वर, रोशन राजवंशी लगायत राखल गेलय ।

सम्पर्क

क्राइम अपरेशन साप्ताहिक

बिराटनगर महानगरपालिका वडा न. ८ प्रगतिटोल

०२१-४१५३२४, ९८४२०२७१४२, ९८०७३५२२१३

Email: [email protected]