राजेश कुमार राजवंशी÷ विराराट राजवंशी भाषामे
विराटनगर, पौष १५ गते । विराट राजवंशीके तथ्यांक संकलन करे खातिर विराटनगर महानगर पालिका वडा न.. ३ कन्चन्वारीमे तालीम सम्पन्न भेलै ।
राजवंशी समाज उत्थान समितिके केन्द्र अध्यक्ष भुवनेस्वर मण्डल राजवंशीके अध्यक्षतामे प्रशिक्षण तालिम भव्यताके साथ सम्पन्न करलकै ।
विराट राजवंशी जातिके तथ्यांकके खातिर विद्यार्थी युवा सबके परिचालन करिके विराट राजवंशीके जनसंख्या कतैक छइ जम्मा तथ्यांक प्राप्त खातिर गणकके परिचालन करल गेलै ।
आरह विराट राजवंशी समुदायके खातिर आपन पहिचान, अस्तित्व, अधिकारके लेल राष्ट्रिय जनगणना आयोग तथ्यांक विभागमे विराट राजवंशी जातिके अभिलेख के व्यवस्था करे परले ।
२०७८ साल मे तथ्यांक विभाग जनगणनाके खतिर आवि रहलइ सबेकोइ विराट राजवंशी लिखाबे खातिर आग्रह करल छइ । विराट राजवंशीके तथ्यांक संकलन पहिला चरन मे बासबारी, कन्चन्वारी, संकरपुर, जतुवा, सितापुर आरह बभनटोली विराट राजवंशीके तथ्यांक संकलन करल जयतै ।
गणक सब १८ गते स २२ गते तकमे तथ्यांक संकलन करिके बुझयतै । प्रशिक्षन कार्यक्रममे रा.स.उ.स.केन्द्रिय कोशा अध्यक्ष मायाराम राजवंशी, सहसचिव काशिनाथ राजवंशी, जिल्ला अध्यक्ष प्रदीप विश्वास राजवंशी, सचीव बसन्त राजवंशी, युवा कोषा अध्यक्ष राजेश कुमार राजवंशी, राजवंशी महिला समिति कोषा अध्यक्ष राजकुमारी राजवंशी सहभागी रहे ।
प्रशिक्षण कार्यक्रमके प्रशिक्षक बदरी राजवंशी विराट राजवंशी सांस्कृतिक पुस्तकालयके अध्यक्ष कुशेश्वर राजवंशीके आयोजनामे प्रशिक्षन तालीम सम्पन्न कयलकै ।
क्राइम अपरेशन साप्ताहिक
बिराटनगर महानगरपालिका वडा न. ८ प्रगतिटोल
०२१-४१५३२४, ९८४२०२७१४२, ९८०७३५२२१३
Email: [email protected]